Ticker

6/recent/ticker-posts

जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए | प्रेरणादायक मैथिली कविता

Prernadayak Maithili Kavita | Motivational Poem In Maithili

जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए

जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए
डूबल सूरज की जग में अंधेर भ गेलए
जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए
टुकुर टुकुर ताकैय छि अहा पटना केर
चुप चाप सही जाय छि दुर्घटना केर
फुलल कली से देखु से अधेड़ भ गेलए
जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए

Motivational Shayari In Maithili

Prernadayak Maithili Kavita motivational poem in Maithili

प्रातःकालीन प्रेरणादायक मैथिली कविता

मिल सब पर में देखु लागल या ताला
मैथिली बिनु देखु चली रहल पाठशाला
मातृभाषा संग केहन ई अंहेड भ गेलए
जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए
केहन चिक्कन अछि गाम शहर देखु
मैथिलक रातू फुटपाथक सड़क देखु
श्रम हमर आ दिल्ली के भोर भ गेलए
जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए
हाल उपचारक अछि केहन से नैय पूछू
बाढ़ि में डुबल फसल कतेक से नैय पूछू
दिन कारी हमर दोसरक गोर भ गेलए
जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए
अहाँकेर की भेटायल कनी सेह कहु
नैना के कहिया धैर भेजब प्रदेश कहु
बजलु सच त सगरो ई शोर भ गेलए
जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए
करी निहौरा अहा स हम कर जोड़ी
श्रेष्ठता के अहा अप्पन ई अहं छोड़ी
देखु सरिता बनी आँखीक नोर भ गेलए
जागु जागु यौ मैथिल अबेर भ गेलए
सोनू कुमार मिश्रा

Read more और पढ़ें:

मिथिलाक माटि महान- देश भक्ति मैथिली गीत Maithili Geet Lyrics

बिहार दिवस मैथिली में | भोजपुरी बिहार दिवस | भोजपुरी शायरी

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ