Ticker

6/recent/ticker-posts

मैथिली गाना सुपरहिट : मैथिली गीत : बलमा एलखिन गाम Maithili Song Lyrics Balma Elkhin Gaon

मैथिली गीत : बलमा एलखिन गाम | मैथिली गाना सुपरहिट

बंबई नगरिया से, बालमा एलखिन गाम,
जेना भए गेलै कुनो हे चमत्कार सखिया।
भगवती के प्रणाम करै छी गोर लगै छी,
ब्रह्म बाबा के लाख लाख आभार सखिया।
बंबई नगरिया से………
अमावस्या राति जेना इजोरिय भए गेलै,
आबि गेल अंगना में नव बहार सखिया।
मोन होआए आई खूब नाची गाबी झूमी,
टूटल सभ सपना भेल, साकार सखिया।
बंबई नगरिया से………
खुशी के नहि अहि बहिना, कुनो ठेकान,
घूमए जा रहल छी मीना बाजार सखिया।
मनोकामना पूर्ण कए देलखिन माता रानी,
बड़ नीक लगइए समस्त संसार सखिया।
बंबई नगरिया से………..
बसंत ऋतु केर मस्त जबर्दस्त मौसम छै,
पागल दिल पर अनुराग छै सवार सखिया।
आमक गाछी कुहकैत अहि कारी कोयलिया,
पुरुष कान मधुर पायलक झंकार सखिया।
बंबई नगरिया से………
हम ई प्रमाणित करै छी जे ई रचना स्वरचित, मौलिक एवं अप्रकाशित अहि। एकर सार्वधिकार कवि/कलमकार के पास सुरक्षित अहि।
सूबेदार कृष्णदेव प्रसाद सिंह,
नासिक (महाराष्ट्र)/
जयनगर (मधुबनी) बिहार

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ